- 165 Posts
- 30 Comments
मिथिलांचल कें समस्त मतदाता मालिक सँ विनम्र अपील :-
——————————————————————-
“आउ मिल क प्रयास करी- अप्पन माँ, माटि आ मानुष कें विकास करी।”
“मान चाही, सम्मान चाही- मिथिलांचल कें अप्पन पहचान चाही।”
एहि सँ कोनो फर्क नहि पड़ैत अछि जे हम सब कोन जाति, कोन धर्म आ कोन जिलाक छी। जगत जननी जानकी माताक पावन धरती मिथिलांचल में जन्म लेबाक कारण हम सब मिथिलांचलवासी छी। अप्पन मातृभूमि, मातृभाषा आ समस्त मैथिल मानुष कें विकासक लेल प्रयत्न केनाय ने सिर्फ हमरा सबहक परम कर्त्तव्य छी, बल्कि परम धर्मो छी। आउ हम सब गोटे मिलि क पूर्ण शिक्षित, पूर्ण विकसित आ शक्तिशाली मिथिलांचलक नवनिर्माण करी। ताकि हमरा सभक नव पीढ़ी अपना आप कें गौरवान्वित आ सम्मानित महसूस क सकैथ।
मिथिलांचल कें सर्वांगीण विकासक लेल पाँच नवंबर कें हमरा सबकें जाति, धर्म आ दलगत राजनीति सँ ऊपर उठि क एहन उम्मीदवार कें अप्पन मत देबाक चाही जे समस्त मिथिलांचलवासी कें बुनियादी आ ज्वलंत समस्या सँ मुक्ति दिया सकैथ।
जय मैथिली माता……. जय हिन्द। बहुत-बहुत धन्यवाद।
सरोज चौधरी
राष्ट्रीय अध्यक्ष
मिथिलांचल मुक्ति मोर्चा
Read Comments