Menu
blogid : 6100 postid : 1142104

“एक दिवसीय धरना सह सामूहिक उपवास” कार्यक्रम

Saroj Chaudhary
Saroj Chaudhary
  • 165 Posts
  • 30 Comments

जगत जननी जानकी माताक पावन धरती आ हमरा सभक मातृभूमि मिथिलांचल के संग वर्षों सँ भऽ रहल सरकारी उपेक्षा, भेदभाव आ उदासीनता के खिलाफ और ग्यारह सूत्री मांग के लऽ कऽ दरभंगा में समाहरणालय स्थित निर्धारित धरना स्थल पर दिनांक- 27 फ़रवरी 2016 (शनि दिन) दिनक 10 बजे सँ “मिथिलांचल मुक्ति मोर्चा” के द्वारा “एक दिवसीय धरना सह सामूहिक उपवास” कार्यक्रम करबाक निर्णय लेल गेल अछि।
एहि कार्यक्रम में “मिथिलांचल मुक्ति मोर्चा” के माननीय राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री सरोज चौधरी जी सेहो भाग लेताह।
अपने समस्त मातृभूमि प्रेमीगण, मित्रगण, “मिथिलांचल मुक्ति मोर्चा” के पदाधिकारीगण, सदस्यगण आ समर्थकगण सँ विनम्र आग्रह जे भारी-सँ-भारी संख्या में उपस्थित भऽ कऽ ने सिर्फ एहि कार्यक्रम के सफल बनाबी बल्कि अप्पन सकारात्मक आ रचनात्मक योगदान दऽ कऽ अप्पन मातृभूमि के विकासक लेल चैल रहल एहि अभियान के निर्णायक बनाबी।
केंद्र आ राज्य सरकार सँ “मिथिलांचल मुक्ति मोर्चा” के माँग :-
1. पृथक मिथिलांचल राज्यक गठन हो।
2. सरकारी अस्पताल में बेहतर इलाजक आ सरकारी स्कूल में बेहतर पढाईक व्यवस्था हो।
3. ग्रामीण सड़क के निर्माण हो आ ग्रामीण क्षेत्र में 24 घण्टा बिजलीक व्यवस्था हो।
4. आमजन के पीबाक लेल शुद्ध जलक व्यवस्था हो।
5. किसानक कर्ज माफ़ हो।
6. महंगाई, भ्रष्टाचार आ बेरोजगारी पर रोक लगे।
7. आमजन के शराब आ अपराध सँ मुक्ति मिले।
8. मिथिलांचल में रेल आ हवाई यात्राक विकास हो।
9. मिथिलांचलवासी के बाढ़- सुखाड़ आ पलायन सँ मुक्ति मिले।
10. मिथिलांचल के वर्षों सँ बंद परल कल-कारखाना चालू हो।
11. मिथिलांचल में आई.आई.टी., एम्स आ आई.आई.एम. कॉलेज खुले।
जय हिन्द – जय मिथिलांचल। बहुत-बहुत धन्यवाद।

Mithilanchal Mukti Morcha Dharna FB

Read Comments

    Post a comment

    Leave a Reply