Menu
blogid : 6100 postid : 1143850

केंद्र सरकारक आम बजट असरहीन, असंतोषजनक, घोर निराशाजनक आ महंगाई के और बढ़ाबै वला अछि

Saroj Chaudhary
Saroj Chaudhary
  • 165 Posts
  • 30 Comments

केंद्र सरकारक आम बजट असरहीन, असंतोषजनक, घोर निराशाजनक आ महंगाई के और बढ़ाबै वला अछि। ओना तऽ अय बजट में ककरो लेल खुश होय वला किछु खास नय अछि। ख़ास कऽ गांव, गरीब, किसान, मजदूर, युवा, महिला, निम्न मध्यमवर्गीय परिवार आ मध्यमवर्गीय परिवारक लेल तऽ ई बजट और बेसी परेशानी बढ़ाबै वला अछि। एना में तऽ “अच्छे दिन” कहियो नय आबि सकै छै।

केंद्र सरकारक रेल बजट में एक बेर फेर मिथिलांचल सनक पिछड़ल क्षेत्रक घोर उपेक्षा कैल गेल अछि। जहन कि मिथिलांचल सनक पिछड़ल क्षेत्र के विकासक मुख्य धारा सँ जोड़बाक लेल रेलवेक विकास आवश्यक अछि। जा धरि रेलवेक विकास नय हेतै ता धरि मिथिलांचलक विकास भेनाय असंभव अछि।

यदि वास्तव में केंद्र सरकार विकसित भारत बनेबाक लेल गंभीर छथि तऽ मिथिलांचल सनक पिछड़ल क्षेत्र के विकासक मुख्य धारा सँ जोड़ैये परतै। हमरा सब के आशा करबाक चाही जे आबै वला समय में केंद्र सरकार ने सिर्फ अय विषय पर गंभीरतापूर्वक विचार करताह बल्कि मिथिलांचल सनक पिछड़ल क्षेत्र के विकासक मुख्य धारा सँ जोड़बाक लेल ठोस, निर्णायक आ सकारात्मक कदम जरूर उठेताह।

जय हिन्द- जय मिथिलांचल। बहुत-बहुत धन्यवाद।

सरोज चौधरी
राष्ट्रीय अध्यक्ष
मिथिलांचल मुक्ति मोर्चा

Mithilanchal Mukti Morcha FB

Read Comments

    Post a comment

    Leave a Reply